Description
कोरोना एहि शताब्दीक पूरा विश्व लेल क्रूरतम घटना छैक। प्राय: केओ एहन नहि अछि जे एहि त्रासदी सं प्रभावित नहि भेल होयत। पारिवारिक, सामाजिक, आर्थिक रूपें अवनति दिस ल’ जाइबला ई रोग दुनिया के तबाह क’ देलक। एकर संक्रमणक अवधिमे मानवता सेहो खंडित भेल। आओर भेल बहुत रास बात।
भारतक साहित्य मे कोरोना पर खूब लिखल गेल। मुदा उपन्यासक रूपमे विभिन्न भारतीय भाषामे कम्मे लिखल गेल। आरंभिक समयमे जे उपन्यास सभ आयल, ताहि मे प्रदीप बिहारीक ई उपन्यास ‘मृत्युलीला’ एहि दुआरें महत्वपूर्ण अछि जे एहिमे कोरोनाक सभ लहरिक घटना प्रमुखतासं वर्णित अछि।
सम्पूर्ण कोरोनाकाल कें समग्रताक संग बुझबा लेल ई एकटा महत्वपूर्ण उपन्यास थिक।
Reviews
There are no reviews yet.