Description
मैथिली मे पत्र-साहित्य कम उपलब्ध अछि। जे किछु अछि, ताहिमे ‘स्वस्ति श्री प्रदीप बिहारी’क स्थान सेहो महत्वपूर्ण अछि। एहि पत्र-संकलन मे मैथिलीक अतिलोकप्रिय रचनाकार जीवकान्तक प्रदीप बिहारीक नामे लिखल पत्र सभ संग्रहित अछि। ई पत्र सभ प्रदीप बिहारीक साहित्यिक निर्मितिक कथा कहैत अछि। कोनो गुरु अपन शिष्यकें कोना साहित्य मे आ जीवन मे सेहो दिशा-निर्देश करैत छथि, ताहू बातक दिग्दर्शन एहि संग्रहक पत्र सभ करैत अछि। पत्र सभ मैथिली थोड़ेक साहित्यक गोलैसी आ राजनीतिक गप सेहो करैत अछि। पत्र सभ ताहि समयक इतिहास, भूगोल आ समाजशास्त्र सेहो कहैत अछि।
एकटा आवश्यक पोथी अछि ई।
Reviews
There are no reviews yet.