Description
बहुमुखी प्रतिभाक धनी कथाकार प्रदीप बिहारीक रचनाक केन्द्र मे मिथिला छैक। मिथिलाक बेगूसराय जनपद आ ओकर आम जनक संघर्ष हिनक कथा मे भीतर सं बजैत अछि। हिनक कथा मिथिलाक निम्न मध्यवर्गीय जीवनक दस्तावेज अछि। एक बेर हिनक कथाक दुनिया मे प्रवेश कयलाक बाद अपने आसानी सं बहरा नहि सकैत छी। सहजताक सूत्र ग्रहण क’ विविधताक स्वरूप गढ़ब हिनक विशेषता छनि। एहि संग्रह ‘सपन एक देखल’ मे एकदम नव-नव धरातलक कथा-भूमि सं कथ्य ल’ मोहक शिल्प मे प्रस्तुत कयल गेल अछि, जे प्रशंसनीय, पठनीय आ संग्रहणीय अछि।
Reviews
There are no reviews yet.